बोरिया में मैथिल महिला सम्मानित - Appan Mithilanchal

Breaking

Post Top Ad

Responsive Ads Here

Saturday, 24 February 2018

बोरिया में मैथिल महिला सम्मानित





होरीक पूर्व इएह फागुन १० गते मैथिल महिला परिषद, बोरिया शाखाक अध्यक्ष किरण झाक अध्यक्षतामे परिषदद्वारा श्री नरेन्द्र मेमोरियल मा वि बोरियाक प्राङ्गणमे विद्यालय दाता श्री जितेन्द्र नारायण देवक प्रमुख आतिथ्यमे आयोजित साहित्यिक गोष्ठीक छविसभ ।

एहि अवसर पर महिला परिषदक संस्थापक अध्यक्ष मीना ठाकुर, वर्तमान अध्यक्ष शान्ति झा सहितक व्यक्तिसभकें सम्मानित कएल गेल ।

एही कार्यक्रममे प्रधानाध्यापक खिलानाथ गौतमद्वारा राजविराज नगरपालिकाक उप-मेयर साधना झाकें अभिनन्दन कएल गेल ।

शिक्षक भोगीलाल साहक आकर्षक उद्घोषणमे सञ्चालित भेल एहि कार्क्रममे विद्यालयक बाल वालिकासभद्वारा आ मीना ठाकुर, देवेन्द्र मिश्र, किरण झा, शान्तिझा आदिद्वारा साहित्यिक प्रस्तुति कएल गेल । 

No comments:

Post a Comment

Post Bottom Ad

Responsive Ads Here

Pages